साकेतानन्द नवहटिया

My blogs

Blogs I follow

About me

Industry Communications or Media
Occupation प्रसारक,,आकाशवाणी से सेवा निवृत्त
Location पटना, बिहार, India
Introduction जीवनमे जे शुभ, जे सुन्दर छैक हमरा ओसब पसिन्न अछि । हमर जँ चलैत त' कोनो एहन वाद, कि एहन व्यवस्था कैल जैतै जाहिमे क्यो दुखित , शोकित नहि होइतै । मुदा मनुक्ख एहन कोनो वाद कहाँ तकलक अछि ? तैं, जे जतबा भ' सके; ओकरे पर्याप्त बुझबाक चाही।
Interests सब सँ पहिने शब्द, एकरे हथियार बना अपन आ आनक स्वर मुखरित करैत रहलंहु अछि। कौखन अपन सीमाक(शब्दक नहि)भान भेला पर कैमरा उठबैत एलौ ।कलम आ कैमरा, यैह दुनू ककारादि मे डोलैत जीवन बीतल। एखनंहु दुनूमे स' कोनो पर महारत हासिल नहि भेल अछि। प्रकृति, आ मनुक्खक प्रकृति देखि सर्वदा स' चकित होइत आएल छी। अध्ययन मनन बस एतबेक।हरदम एकरे अंगेजबाक आ अपनामे अंटेबाक प्रयासमे लागल रहलंहु अछि। कौखन आकाशवाणीक चाकरी ध्वनि माध्यम स'अभिव्यक्ति करैक अवसर देलक अछि, जेकर हम भरपूर उपयोग केलंहु।लेखन एखनंहु नम्बर एक अछि।
Favorite Movies आग, आवारा, कागज़ के फूल, अर्धसत्य, रोज़ा परज़ानिया.गान्धी, स्लम डौग मिलियोनर
Favorite Music भारतीय शास्त्रीय संगीत, नव आ पुरान दुनू। तहिना फिल्मी गीतो । पुरान त' नीक लगिते अछि जे नवोमे, किछु गायक आ संगीतकार बड नीक लगैत छथि।
Favorite Books मैथिली मे राज कमल, यात्री, मायानन्द रेणु, हिन्दी मे प्रेमचन्द स' ल' क' पंकजमित्र तकके रचना। अंग्रेजीक शेक्सपियर, हेमिंग्वे, आइन रैंड सार्त्र, काफ्का आदि इत्यादि।